वृन्दावन नपाका मेयर कुर्मी कएलन विपन्न विद्यार्थीके शैक्षिक सामाग्री सहयोग ।

रौतहट ०७ भदौ ।
हेफर इन्टरनेश्नल नेपाल रौतहटके बतहु माध्यमिक विद्यालय हर्षाहामे अध्ययनरत विपन्न विद्यार्थीसबके विद्यालय पोशाक आ शैक्षिक सामाग्री वितरण कएले हए । वृन्दावन नगरपालिकाका–६ हर्षाहा स्थित रहल बतहु माध्यमिक विद्यालयके १५ जना विपन्न समुदायके लडकीसबके विद्यालय पोशाक आ शैक्षिक सामाग्री वितरण कएले हेफर इन्टरनेश्नल जनएले हए । वृन्दावन नगरपालिकाके आर्थिक सहयोग आ हेफर इन्टरनेश्नल नेपालके आयोजनामे उक्त सामाग्री वितरण कएले हए ।

मंगरके विद्यालयमे आयोजित एक कार्यक्रमके बीच हेफर इन्टरनेश्नल उ विद्यालयके कक्षा ६ से १० तक अध्ययन करेबाला अति गरिव एवं विपन्न समुदायके १५ जना लडकी सिबके प्रति छात्रा दु÷दु थान विद्यालय पोशाक, एक एकथान जुत्ता, ब्याग, कापी, पेन्सिल, डटपेन लगायत शैक्षिक सामाग्रीसब वितरण कएले हए । वृन्दावन नगरपालिकाके नगर प्रमुख विनोद प्रसाद कुर्मी विद्यार्थीसबके उक्त पोशाक आ शैक्षिक सामाग्री वितरण कएले हए ।

शैक्षिक सामाग्री वितरण करइत नगर प्रमुख कुर्मी शैक्षिक सामाग्रीसब निःशुल्क रुपमे मिललाबाद न्युन आर्थिक अवस्था भेल परिवारके बच्चासबके पढाईमे सहयोग होएके अर्थात प्रोत्साहन मिलेके बतएलन । अपन नगर भितरके अन्य सामुदायीक विद्यालयसबमे समेत आर्थिक अवस्था कमजोर भेल विद्यार्थीसबके पढाईमे सहयोग होएके उद्देश्यसे छात्रवृत्ति, विद्यालय पोशाक आ शैक्षिक सामाग्री लगाएत वितरण करइत आएल आ आगामी दिनमे समेत वितरण करेके अपन योजना रहल मेयर कुर्मी बतएलन । कार्यक्रम संयोजक पोखरेल सामाजिक उत्तरदायित्व कार्यक्रम अन्तर्गत संस्था कएले कामसबके बारेमे बतएले रहलन । एइ संस्थासे अइसन सामाजिक कार्यसब लमहर समयसे रौतहट सहित विभिन्न जिल्लासबमे करते आएल हए ।

लोकप्रिय